Tuesday, May 7, 2013

आपन कर्त्तव्य

आपन कर्तव्य के एहसास कराबैत हम्मर एक टा रचना ...

यौ सूतक छी किया जागू ने !
हमरा संगे कदम बढ़ाबू ने !
हम सब पढली गाछक निच्चा !
आबो त स्कुल बनाबू ने !
यौ सुतल किया छी जागू ने !

लाज होई यै कनिया के !
गाछी दिशा जाय में !
निर्मल ग्राम योजनाक लाभ उठा क !
आपन शौचालय बनाबू ने !
यौ सुतल किया छी जागू ने !

आपन गाम क बिचौलिया सब स
आब त अहाँ बचाबू ने
इनरा अबास के पाई सीधे !
लाभार्थी के भेटाबू ने !
यौ सुतल किया छी जागू ने !

कम दे डीलर तेल अनाज त !
जिला में फोन लगाबू ने !
सोलर लाईट लेल मुखिया स !
जिला में आवेदन पठाबू ने !
यौ सुतल किया छी जागू ने !

वोटर लिस्ट मे छुटल के सब !
सेहो पता लगाबू ने !
गलती सालती आ छुटल बढल के !
सही फॉर्म भाराबू ने !
यौ सुतल किया छी जागू ने !

गर्भवती महिला के "आशा" स !
समय पर भेट कराबू ने !
बुदरुक के पड़े टिका समय पर !
आंगनबाड़ी में पता लगाबू ने !
यौ सुतल किया छी जागू ने !
हमरा संगे कदम बढ़ाबू ने !

कोनों तरहक दिक्कत होय त
"जिज्ञासा" के फोन लगाबू ने !
0612-2233333 नंबर के
आपन मोबाईल पर दाबू ने !
रचनाकार ---- मुकेश पंजियार
जागरूक मैथिल - विकसित मिथिला

2 comments:

  1. This comment has been removed by the author.

    ReplyDelete
  2. आपकी यह पोस्ट आज के (२५ मई २०१३) ब्लॉग बुलेटिन - किसकी सजा है ? पर प्रस्तुत की जा रही है | बधाई और सादर आभार |

    ReplyDelete