Sunday, March 10, 2013

आइब गेल फगुआ


सुनु यौ सजना, सुनु यौ सजना !
करै छी अरज सुनु यौ सजना !!
सठल ठोररंगा सठल गोररंगा फूटी गेल कंगना !
आइब गेल फगुआ , अहूँ चलि आऊ सजना !!
करै छी अरज तनी सुनु ने सजना !!

बासंती झोका सs मातल रहैत अछि मोन !
अहाँ बिनु यौ पिया बुझतै दरद ई कोन !!
सुन भेल दुअरा आ सुन भेल अंगना !!
करई छी निहोरा जे चलि आऊ सजना !!

चौकी केर कोर पीठी गरय या !
चौक पर के छौरा सब टुक-टुक ताकई या !!
भूलि गेली श्रृंगार आ सजना सवारना
हमरे अछि शपथ जे आबि जाऊ कहुना !!
आबू ने , आबू ने , आबू ने , आबू ने
आबू ने सजना यौ आबू ने सजना !!

एहि बेरी नई एलौं त हमहू नई जियम !
झीनी एहि चादर के केत्ते धरि सियम !!
कत्तेक धरि गिरायम हम लोर अहिना !
आइब जाऊ सजना हे , आइब जाऊ सजना !!

हेल्लो .... हेल्लो .... हेल्ल्ल्ल्लो .........  हेल्ल्ल्ल्लो ...............!
एजी सुनी ना ...... हेल्लो ...... हेल्ल्लो .... किया देलियै फोन यौ सजना !!
आ ई ब गेलsssss फागुन ....... आबू ने ... स ज ना !!

No comments:

Post a Comment